जिला विधिक सेवा प्राधिकारक तत्वावधानमे न्यायालय परिसरमे योगाभ्यास कार्यक्रमक शुभारंभ दीप प्रज्जवलनक संग कयल गेल।

योगके अपन दैनिक जीवनचर्यामे शामिल करबाक चाही। ई मानसिक, शारीरिक, नैतिक, आध्यात्मिक स्वास्थ्यक लेल लाभप्रद अछि।


yoga practice program

जिला विधिक सेवा प्राधिकारक तत्वावधानमे न्यायालय परिसरमे योगाभ्यास कार्यक्रमक शुभारंभ दीप प्रज्जवलनक संग कयल गेल।

अंतरराष्ट्रीय योग दिवसक अवसरपर जिला विधिक सेवा प्राधिकारक तत्वावधानमे न्यायालय परिसरमे योगाभ्यास कयल गेल।

जिला एवं सत्र न्यायाधीश विनोद कुमार तिवारी कहलाह जे मानव स्वास्थ्यक लेल योग परम आवश्यक अछि।

 योगाभ्याससऽ मनुष्यक सर्वांगीण विकास होई छैक आ योग करयसऽ शरीरमे होमयवला गंभीर बीमारीसऽ सेहो बांचल जा सकैत अछि।

ओ कहलनि जे योगके अपन दैनिक जीवनचर्यामे शामिल करबाक चाही। ई मानसिक, शारीरिक, नैतिक, आध्यात्मिक स्वास्थ्यक लेल लाभप्रद अछि।

जिला विधिक सेवा प्राधिकारक सचिव रंजन देव कहलनि जे आधुनिकताक ई दौरमे मानव मशीन बनि गेल अछि आ अस्वस्थ एवं तनावपूर्ण जीवन जीबाक लेल मजबूर अछि। प्रदूषित भोजन-पाईन, दूषित हवा, कार्यक अतिरिक्त दबाव, कंप्यूटर आदिक उपयोग हमरा सबहक मोन-मस्तिष्कपर प्रतिकूल प्रभाव दऽ रहल अछि।

ओ कहलनि जे एहन परिस्थितिमे योगासन अतिआवश्यक होई छैक।

कार्यक्रममे राहुल उपाध्याय न्यायिक पदाधिकारी, पैनल अधिवक्ता, न्यायिक कर्मचारी एवं पारा विधिक स्वयंसेवक लोकनि के विभिन्न आसन एवं प्राणायामक अभ्यास करौलनि।

Sitesh Choudhary


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
4
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
1
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

0 Comments

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions