उद्योग विभाग द्वारा संचालित पीएमईजीपी, पीएमएफएमई आ पीएम विश्वकर्मा योजनाक ऋण वितरण शिविरक भेल आयोजन।
दरभंगा, 27 जून, 2024 :- उद्योग निदेशक, पटना, बिहारक निर्देशानुसार दरभंगा जिलामे उद्योग विभाग द्वारा संचालित विभिन्न योजनाक ऋण वितरण शिविरक आयोजन डीआरडीए निदेशकक अध्यक्षतामे जिला उद्योग केंद्रक परिसरमे आयोजित कयल गेल।
जिला उद्योग केंद्रक परिसरमे प्रधानमंत्री रोजगार सृजन कार्यक्रम, प्रधानमंत्री सूक्ष्म खाद्य उन्नयन योजना आ प्रधानमंत्री विश्वकर्मा योजनाक लाभुकके ऋण भुगतान हेतु पत्र प्रदान कयल गेल।
उद्योग विभागक मैनेजर सुरुचि कहलनि जे शिविरमे पीएमईजीपी योजनामे कुल 52 लाभुकके 04 करोड़ 6 लाखसऽ अधिक रुपया राशिक स्वीकृति पत्र देल गेल। पीएमएफएमई योजनामे 33 लाभुकमे 01 करोड़ 61 लाखसऽ अधिक रुपयाक स्वीकृति पत्र देल गेल। पीएम विश्वकर्मा योजना अंतर्गत दू लाभुकमे 02 लाख रुपयाक स्वीकृति आ भुगतान पत्र प्रदान कयल गेल।
शिविरमे लाभुकके संबोधित करैते डीआरडीए निदेशक सभ लाभुकके लक्ष्यक अनुसार स्वीकृति आ भुगतानमे तेजी आनबाक निर्देश देलैन। जिला परियोजना प्रबंधक, जीविका 'जीविका दीदी'के योजनासऽ जोड़बाक हेतु जागरूक कयलैन। लाभुकक द्वारा अपना अनुभव सेहो साझा कयल गेल, जाहिसऽ अन्य उपस्थितगणके जुड़बाक हेतु प्रेरणा भेटत।
शिविरमे महा प्रबंधक, जिला उद्योग केंद्र दरभंगा, जिला परियोजना प्रबंधक जीविका, उद्योग मैनेजर दरभंगा,अग्रणी बैंक प्रबंधक दरभंगा, परियोजना प्रबंधक जिला उद्योग केंद्र दरभंगा, एस बी आईक मैनेजर, केनरा बैंक आ अन्य बैंक के अनिवार्य पदाधिकारी उपस्थित छलाह।
Sitesh Choudhary
Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||
Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)
0 Comments