राष्ट्रीय लोक अदालतक सफलता लेल लगातार आयोजित कयल जा रहल अछि बैसार।
दरभंगा, 27 जून, 2024 :- आगामी 13 जुलाई 2024क राष्ट्रीय लोक अदालत हेतु पंचायती राज पदाधिकारीक संग जिला एआ सत्र न्यायाधीश सह अध्यक्ष जिला विधिक सेवा प्राधिकार विनोद कुमार तिवारी समीक्षात्मक बैसार कयलाह।
ओ कहलाह जे समाजमे शांति आ भाईचारा बहाल राखयमे ग्राम कचहरीक महत्वपूर्ण भूमिका अछि। छोट-छोट विवाद स्थानीय स्तरपर सोझराबयक ई निकटतम आ सरलतम न्याय व्यवस्था अछि।
ओ कहलाह जे एहन सुलहयोग्य वाद जे ग्राम कचहरीमे लंबित अछि आ पक्षकारक बीच सुलह-समझौताक गुंजाइश छैक त पक्षकारके ग्राम कचहरीमे बजबायक समझौता कराउ। समझौताक पश्चात वादके राष्ट्रीय लोक अदालतमे निष्पादनक लेल तैयार करू।
जिला आ सत्र न्यायाधीश कहलाह जे ग्राम कचहरीक सभ प्रतिनिधि स्थानीय और सामाजिक होईछ आ मामलाक सभ पहलुके भलीभांति बूझैत अछि। मामलामे स्थानीय पक्षकारके होयबासऽ हुनका बीच समझौता करेनाई आसान होईछ। ओ कहलाह जे अधिक सऽ अधिक मामलामे सुलह-समझौता कराउ।
जिला विधिक सेवा प्राधिकारक सचिव रंजन देव कहलाह जे गांवमे राष्ट्रीय लोक अदालतक प्रचार-प्रसार कराउ। ओ संबंधित पदाधिकारीके कहलाह जे लोककेलोक अदालतक फायदासऽ अवगत कराउ।
बैसारमे जिला पंचायती राज पदाधिकारी सहित सभ प्रखंडक पंचायती राज पदाधिकारी मौजूद छलाह।
Sitesh Choudhary
Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||
Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)
0 Comments