राष्ट्रीय लोक अदालत वास्ते विभिन्न सरकारी विभागक पदाधिकारीक संग भेल बैसार।

पक्षकार के लोक अदालतक माध्यमे विवाद निपटारा करबामे फायदा अछि।


Rashtriy-Lok-Adalat-Vaste-Vibhinn-Sarkari-Vibhagak-Padhadhikarik-Sang-Bhel-Baisar

राष्ट्रीय लोक अदालत वास्ते विभिन्न सरकारी विभागक पदाधिकारीक संग भेल बैसार।

दरभंगा, 25 जून 2024 :- जिला एवं सत्र न्यायाधीश सह अध्यक्ष जिला विधिक सेवा प्राधिकार विनोद कुमार तिवारी आगामी 13 जुलाई 2024 कऽ आयोजित होबयवला राष्ट्रीय लोक अदालत वास्ते विभिन्न सरकारी विभागक पदाधिकारीक संग समीक्षात्मक बैसार कयलनि।

ओ कहलनि जे अपन विभागसऽ संबंधित मुकदमामे पक्षकारक संग प्रि-काउंसलिंग करू। प्रि-काउंसलिंगक दौरान पक्षकार के लोक अदालतक रस्ते विवाद निपटारा करयबाक फायदा बताबू। प्रचार-प्रसारक हरसंभव प्रयास करू।

ओ कहलनि जे राष्ट्रीय लोक अदालतक माध्यमे बेसी सऽ बेसी मामलाक निपटारा करयबाक लेल हरसंभव कदम उठाऊ। 

जिला विधिक सेवा प्राधिकारक सचिव रंजन देव कहलनि जे प्रि-काउंसलिंगक पश्चात मुकदमाक सूची कार्यालयमे अवश्य जमा करू। जाहिसऽ बिहार राज्य विधिक सेवा प्राधिकारक स-समय प्रतिवेदन कयल जा सकय। 

बैसारमे श्रम, मापतौल, विद्युत, दूरसंचार आदि विभागक अधिकारी उपस्थित छलाह।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
2
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
0
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

0 Comments

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions