नशीला दवाईक दुरुपयोग आ अवैध तस्करीक विरुद्ध जागरूकता-सह-शपथ कार्यक्रमक कयल गेल आयोजन।

नशीला पदार्थक बिक्री वा सेवन दंडनीय अपराध छैक। एहि अपराधक लेल 20 वर्ष धरि सजा तथा ₹2 लाख धरि जुर्मानाक वा मृत्युदंडक प्रावधान छैक।


Nashila-Dawaik-Durupyog-ya-avaidh-taskari-ke-viruddh-jagrukta-sah-shapath-karykramak-bhel-aayojan

नशीला दवाईक दुरुपयोग आ अवैध तस्करीक विरुद्ध जागरूकता-सह-शपथ कार्यक्रमक कयल गेल आयोजन।

दरभंगा, 26 जून, 2024 :- नशीला दवाईक दुरुपयोग आ अवैध तस्करीक विरुद्ध अंतर्राष्ट्रीय दिवसक अवसरपर न्यायालय परिसर स्थित एडीआर भवनमे जागरूकता-सह-शपथ कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल।

कार्यक्रमके संबोधित करैत प्रभारी जिला एवं सत्र न्यायाधीश रमाकांत कहलाह जे नशीला दवाईक उपयोग चिकित्साक क्षेत्रमे स्वास्थ्य संबंधी सुधारक लेल कयल जाईछ परंतु एकर उपयोग स्वास्थ्यक लेल हानिकारक होईछ।

ओ कहलाह जे हमरा सभके एकरा वास्ते लोक सभके जागरूक करबाक आवश्यकता अछि।

जिला विधिक सेवा प्राधिकारक सचिव रंजन देव कहलाह जे नशीला दवाईक वा मादक पदार्थक सेवन आ अवैध तस्करी दंडनीय अपराध छैक। विधिक सेवा प्राधिकार सभ स्तर पर लोकके जागरूक करैत अछि।

जानकारी दैत सचिव कहलाह जे मंडल कारामे पैनल अधिवक्ता इंदु कुमारी, जिला स्कूलमे संजीव कुमार, रामनंदन मिश्र हाईस्कूलमे राधा कुमारी एवं मुकुंदी चौधरीमे अजय कुमार साहू नशीला दवाईक दुरुपयोग आदि विषयपर जागरूकता कार्यक्रमक आयोजन कयलाह।

मादक पदार्थक दुरुपयोग आ अवैध व्यापारक विरुद्ध अंतर्राष्ट्रीय दिवसक अवसरपर सूचना एवं जनसंपर्क विभागक निर्देशक आलोकमे जिला सूचना जनसंपर्क अधिकारीक द्वारा चयनित स्थलपर फ्लेक्स स्थापित कयल गेल।

जाहिमे स्पष्ट संदेश अछि जे नशीला पदार्थक बिक्री वा सेवन दंडनीय अपराध छैक। एहि अपराधक लेल 20 वर्ष धरि सजा तथा ₹2 लाख धरि जुर्मानाक वा मृत्युदंडक प्रावधान छैक।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
2
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
1
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

One Comment

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions