मेगा ऋण स्वीकृति आ विमुक्ति हेतु मेगा क्रेडिट कैम्पक भेल आयोजन।
मधुबनी : 26 June 2024: मधुबनीक जिलाधिकारी, अरविन्द कुमार वर्माक अध्यक्षतामे उद्योग विभागक विभिन्न योजना अंतर्गत ऋण स्वीकृति आ विमुक्ति हेतु मेगा क्रेडिट कैम्पक आयोजन दिनांक-26.06.2024 बुध दिन पूर्वाह्न 11 बजेसऽ समाहरणालय सभागारमे कयल गेल।
मेगा कैम्पमे महाप्रबंधक, जिला उद्योग केन्द्र, जिला अग्रणी प्रबंधक, विभिन्न बैंकक क्षेत्रीय प्रबंधक एवं जिला समन्वयक, जिला परियोजना प्रबंधक, जीविकाक द्वारा भाग लेल गेल।
जिला पदाधिकारी द्वारा सभ बैंकर्ससऽ वर्तमान वित्तीय वर्षमे पी.एम.ई.जी.पी. एवं पी.एम.एफ.ई.योजना अंतर्गत निर्धारित लक्ष्यक शत-प्रतिशत प्राप्ति हेतु आवश्यक कार्रवाई करबा हेतु निर्देश देल गेल।
जिला पदाधिकारी द्वारा सभ बैंकर्ससऽ एहि दुनू योजना अंतर्गत स्वयं ऋण आवेदन सृजन करय हेतु निर्देशित कयल गेल।
पीएम विश्वकर्मा योजनांतर्गत प्राप्त आवेदनक यथाशीघ्र ऋण स्वीकृति एवं विमुक्ति हेतु सेहो निर्देश देल गेल।
मेगा क्रेडिट कैम्पमे पी.एम.ई.जी.पी. योजना अंतर्गत कुल 35 लाभुकक बीच 249.27 लाख रूपयाक राशि, पी.एम.ई.जी.पी. योजना अंतर्गत 22 लाभुकक बीच 119.32 लाख रूपयाक राशि ऋणक रूपमे वितरित कयल गेल। संगहि, पीएम विश्वकर्मा योजना अंतर्गत 8 लाभुकक बीच कुल 5.89 लाख रूपयाक राशि ऋणक रूपमे वितरित कयल गेल।
Sitesh Choudhary
Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||
Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)
वाह बहुत खूब।
ये बहुत जरूरी था ।