जिलाधिकारीक अध्यक्षतामे जिला समन्वय समिति एवं जिला स्तरीय समीक्षा समितिक तिमाही बैसारक आयोजन भेल।

सीडी अनुपात, एसीपी उपलब्धि, केसीसी, केसीसी, एएचडी, मत्स्य पालन, पीएमईजीपी, पीएमएफएमई, पीएम स्वनिधि आदिक भेल समीक्षा।


Jiladhikarik adhyakshtame jila samanvay samiti evam jila stariy samiksha samitik timahi baisark aayojan bhel

जिलाधिकारीक अध्यक्षतामे जिला समन्वय समिति एवं जिला स्तरीय समीक्षा समितिक तिमाही बैसारक आयोजन भेल।

मधुबनी : 27 June 2024: जिलाधिकारी अरविन्द कुमार वर्माक अध्यक्षतामे  समाहरणालय स्थित सभागारमे जिला समन्वय समिति एवं जिला स्तरीय समीक्षा समितिक तिमाही बैसारक आयोजन कयल गेल।

बैसारमे जिलाधिकारीक द्वारा सीडी अनुपात, एसीपी उपलब्धि, केसीसी, केसीसी, एएचडी, मत्स्य पालन, पीएमईजीपी, पीएमएफएमई, पीएम स्वनिधि आदि सन विभिन्न मापदंडपर सभ बैंकक प्रदर्शनक समीक्षा कयल गेल। 

जिलाधिकारी कम एसीपी उपलब्धिपर नाराजगी व्यक्त कयलाह। ओ उपस्थित सभ बैंक प्रतिनिधियसऽ कम सऽ कम  25% उपलब्धि प्राप्त करबाक निर्देश देलैन। ओ कहलाह जे 2024-25मे 100% एसीपी उपलब्धि सुनिश्चित करू।

 जिलधिकारी सभ बैंकक सीडी रेशियोक निर्धारित लक्ष्यके कोनो हालमे प्राप्त करबाक निर्देश देलैन। एलडीओ, आरबीआईक द्वारा 100% डिजिटलीकरणक लक्ष्यके हासिल करबाक निर्देश देल गेल।

बैसारमे राजनगर विधायक रामप्रीत पासवान, डीडीसी दीपेश कुमार, एलडीओ संदीप कुमार, रमेश कुमार शर्मा, जीएम, डीआईसीक संग-संग विभिन्न विभाग यथा- कृषि, डेयरी, मत्स्य पालन, पशुपालन, नगर निगमक वरिष्ठ अधिकारी आ बैंक एवं डीसीओक वरिष्ठ अधिकारी उपस्थित छलाह।

बैसारक संचालन गजेन्द्र मोहन झा, एलडीएम,मधुबनीक द्वारा कयल गेल।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
0
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
0
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

0 Comments

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions