जिलाधिकारी द्वारा देल गेल निर्देशक आलोकमे पंचायतमे संचालित योजनाक भेल सघन जांच।

अधिप्राप्ति केंद्र, विद्यालयक निरीक्षण, स्वास्थ्य केंद्रक निरीक्षण, समेकित बाल विकास सेवा(आईसीडीएस), अ. जा./अ. ज.जा./पिछड़ा वर्ग आ अल्पसंख्यक छात्रावासक जांच.......


Jiladhikari-dwara-del-gel-nirdeshak-aalok-mein-panchayat-mein-sanchalit-yojnak-bhel-saghan-janch

जिलाधिकारी द्वारा देल गेल निर्देशक आलोकमे पंचायतमे संचालित योजनाक भेल सघन जांच।

मधुबनी : 26 June 2024: जिलाधिकारी, अरविन्द कुमार वर्मा द्वारा देल गेल निर्देकक आलोकमे आजुक दिन सरकार द्वारा संचालित विभिन्न जन कल्याणकारी योजनाक सुचारू रूपसऽ कियान्वयनक जांच जिला/अनुमंडल स्तरीय विभिन्न पदाधिकारीसऽ कराओल गेल। 

ज्ञातव्य अछि जे जिलामे स्थित कुल पंचायतक समूहमे विभाजितकऽ रैण्डम रूपमे प्रत्येक पंचायतमे जांच हेतु एक पदाधिकारीक प्रतिनियुक्त कयल गेल रहय, जे आजु दिनांक 26-06-2024 बुधवारकऽ सम्बद्ध पंचायतमे स्थित योजनाक सघन जांच कयलाह आ हुनक माध्यमसऽ जांचक प्रतिवेदन उपलब्ध कराओल गेल।

एहि क्रममे अनुमंडल लोक शिकायत निवारण पदाधिकारी, झंझारपुरक द्वारा अंधराठाढ़ी प्रखंडक शिवा पंचायत, डीसीएलआर, सदर मधुबनीक द्वारा बाबूबरहीक बरदाही-बरहारा, जिला लोक शिकायत निवारण पदाधिकारी, मधुबनीक द्वारा बेनीपट्टी प्रखण्डक परसौना, डीसीएलआर बेनीपट्टीक द्वारा बिस्फी प्रखंडक रघौली, अपर समाहर्त्ता, मधुबनीक द्वारा बिस्फी प्रखंडक खैरी बांका उत्तर, डीसीएलआर जयनगरक द्वारा हरलाखी प्रखंडक नहरनिया, अनुमंडल पदाधिकारी, झंझारपुरक द्वारा पिपरौलिया, डीसीएलआर, झंझारपुरक द्वारा परसा, अनुमंडल लोक शिकायत निवारण पदाधिकारी, सदर मधुबनीक द्वारा खजौली प्रखण्डक बेंता काकरघाटी, उप विकास आयुक्त, मधुबनीक द्वारा खुटौना प्रखंडक पिपराही, वरीय उप समाहर्ता, सामान्य शाखाक द्वारा लदनियां प्रखंडक डलोखर, डीसीएलआर, फुलपरासक द्वारा लौकही प्रखंडक झहुरी, वरीय उप समाहर्ता, विधि शाखाक द्वारा रहिका प्रखंडक इजरा, जिला पंचायती राज पदाधिकारीक द्वारा मधवापुर प्रखंडक बलबा पंचायतमे जांच कयल गेल।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
1
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
1
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

One Comment

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions