एक दिवसीय वॉलीबॉल बालक अंडर-15क चयन लेल होयत प्रतियोगिताक आयोजन।

खेलक विकास के मूर्त रूप देबाक वास्ते कयल जा रहल अछि कार्यक्रम।


Ek-divsiy-vollyball-balak-under15k-chayan-lel-hoyat-pratiyogitak-ayojan

एक दिवसीय वॉलीबॉल बालक अंडर-15क चयन लेल होयत प्रतियोगिताक आयोजन।

दरभंगा, 25 जून 2024 :- 29 जून 2024क एक दिवसीय वॉलीबॉल बालक अंडर-15 आयु वर्गक खिलाड़ीक चयन लेल प्रतियोगिताक आयोजन नागेंद्र झा स्टेडियम दरभंगा में होयत।

चयन प्रतियोगितामे 15 वर्षसऽ कम आयु वर्गक कोनो भी बालक प्रतिभागी भाग लऽ सकैत अछि, जिनकर ऊंचाई 176 सेमी भेनाइ अनिवार्य अछि।

प्रमंडलीय अधीक्षक, दरभंगा प्रमंडल परिमल जी कहलनि जे बिहार राज्य खेल प्राधिकरण पटना द्वारा ई कार्यक्रम कयल जा रहल अछि, जेकर उद्देश्य अछि खेलक विकास के मूर्त रूप देनाई।

चयनकर्ता आलोक पांडे, बृजेश कुमार राठौर, कामिनी कुमारी के खेल प्राधिकरण,  पटनाक द्वारा प्रतिनियुक्त कयल गेल अछि। 

हुनक देख-रेखमे चयन प्रतियोगिता 29 जून 2024क 10:00 बजे पूर्वाहनसऽ प्रारंभ कयल जायत एवं प्रतिभागीक चयन कयल जायत।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
2
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
0
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

0 Comments

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions