दरभंगा प्रेक्षागृहमे विशेष सर्वेक्षण सहायक बंदोबस्त पदाधिकारी, कानूनगो, लिपिक एवं अमीनके समारोह आयोजितकऽ नियुक्ति पत्रक कयल गेल वितरण।

प्रभारी जिलाधिकारी विशेष सर्वेक्षण हेतु नियुक्ति पत्र वितरणक बाद पदस्थापन कार्यालयमे सर्वे कार्य के सरकारक निर्देशक आलोकमे यथाशीघ्र पूर्ण करबाक निर्देश देलैन।


drbhanga prekshag hme visheshh srvekshan shayk bandobst pdadhikaree kanoongo lipik evan ameenke smaroh aayojitk niyukti ptrk kyl gel vitran jpg

दरभंगा प्रेक्षागृहमे विशेष सर्वेक्षण सहायक बंदोबस्त पदाधिकारी, कानूनगो, लिपिक एवं अमीनके  समारोह आयोजितकऽ नियुक्ति पत्रक कयल गेल वितरण।

दरभंगा, 03 जुलाई 2024 :- राजस्व एवं भूमि सुधार विभाग तथा भू अभिलेख तथा परिमाप निदेशालय बिहार सरकार द्वारा नवनियुक्त सर्वेक्षण कर्मीक नियुक्ति पत्र वितरण समारोह आयोजित भेल। उक्त कार्यक्रमक विधिवत उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, बिहारक द्वारा राजधानी पटनामे कयल गेल, जेकर लाइव प्रसारण दरभंगाक ऑडिटोरियममे सेहो कयल गेल।

विशेष सर्वेक्षण कार्य हेतु चयनित अभ्यर्थी, जाहिमे विशेष सर्वेक्षण सहायक बंदोबस्त पदाधिकारी 15, विशेष सर्वेक्षण कानूनगो 27, विशेष सर्वेक्षण लिपिक 30, विशेष सर्वेक्षण अमीन 266के बेनीपुर विधायक विनय कुमार चौधरी, जिला परिषद अध्यक्षा सीतादेवी, प्रभारी जिलाधिकारी-सह-नगर आयुक्त कुमार गौरव, अपर समाहर्ता राजस्व नीरज कुमार दास एवं उप निदेशक जन-संपर्क सत्येंद्र प्रसादक कर-कमल द्वारा दरभंगा, प्रेक्षागृहमे नियोजन पत्र वितरण कयल गेल। 

जिलाधिकारी संवाददाताके संबोधित करैत कहलाह जे आजु दरभंगा जिलामे 338 अभ्यर्थीके नियोजन पत्र प्रदान कयल गेल जाहिमे विशेष सर्वेक्षण सहायक बंदोबस्त पदाधिकारी, पंकज कुमार, सुनील मिश्रा, सुमित कुमार, मंगल कुमार, मो. महबूब, हैप्पी कुमारी, सुप्रिया ,सोनल राज, प्रज्ञा कुमारी, कोमल कुमारी, कुँवरजीत राजा, प्रिंस कुमार, आलोक रंजन आदि शामिल छलैथ।

विशेष सर्वेक्षण कानूनगो के पप्पू कुमार, अमित कुमार, नव्या, प्रदीप कुमार, कृष्ण कुमार, गौतम कुमार, प्रेम कुमार अर्चना, विनीता कुमारी, प्रिया कुमारी, यशवंत कुमार एवं घनश्याम कुमार आदिके नियुक्ति पत्र वितरण कयल गेल।
विशेष सर्वेक्षण लिपिक पद हेतु सुजीत कुमार, रूबी कुमारी, स्वीटी कुमारी, अनुपम कुमारी, विनीत कुमार, रमेश कुमार, पप्पू कुमार, रितेश कुमार, अनिल कुमार, दीपक कुमार, ज्ञान भारती, श्वेता कुमारी, अनिता कुमारी, कंचन कुमारी, रमेश कुमार एवं गौरव कुमारके विशेष समारोह आयोजितकऽ नियुक्ति पत्र वितरण कयल गेल।

विशेष सर्वेक्षण अमीन पद हेतु जाहिमे मधुमाला, प्रियंका कुमारी, सविता कुमारी, शालिनी कुमारी, खुशबू कुमारी, आयुषी कुमारी, मधु कुमारी, अनामिका सिंह, रेखा, रीमा कुमारी, विभा कुमारी, रक्षा कुमारी, मोनिका कुमारी, कुमारी ममता यादव, रमेश कुमार चौधरी, शशि रंजन कुमार, शिवम कुमार आदिके नियुक्ति पत्र देल गेल।

एहि दौरान दरभंगा, प्रेक्षागृहमे उपस्थित विशेष सर्वेक्षण सहायक बंदोबस्त पदाधिकारी, विशेष सर्वेक्षण कानूनगो, विशेष सर्वेक्षण लिपिक एवं विशेष सर्वेक्षण अमीन मुख्यमंत्रीक भाषण पर थपरी बजाकऽ अपन खुशी जाहिर कयलैथ। नियुक्ति पत्र पाबि अधिकारी आ कर्मी बहुत खुश भेलाह।

एहि अवसरपर प्रभारी जिलाधिकारी विशेष सर्वेक्षण सहायक बंदोबस्त पदाधिकारी, विशेष सर्वेक्षण कानूनगो, विशेष सर्वेक्षण लिपिक एवं विशेष सर्वेक्षण अमीनके बधाई दैत हुनका सभके अपन पदस्थापन कार्यालयमे जाकऽ सर्वे कार्यके सरकारक निर्देशक आलोकमे यथाशीघ्र पूर्ण करबाक निर्देश देलैन।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
1
geeky
love love
2
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
1
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

4 Comments

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions