बिस्फीमे एस.डी.आर.एफ. टीमक द्वारा डूबय सऽ होबयवला मृत्युक हेतु कयल गेल जन जागरूकता अभियान।

आपदा प्रबंधन विभाग एवं जिला पदाधिकारी अरविंद कुमार वर्माक निर्देशक आलोकमे ई जनजागरूकता अभियान चलाओल जा रहल अछि।


Bisfime-sdrf-teamk-dwara-dubaysa-hobaiywla-mrityuk-kayal-gel-jan-jagrukta-abhiyan

बिस्फीमे एस.डी.आर.एफ. टीमक द्वारा डूबय सऽ होबयवला मृत्युक हेतु कयल गेल जन जागरूकता अभियान।

एस.आई. बिनोद कुमार सिंहक नेतृत्वमे आजु बुध दिन बिस्फी अंचल स्थित विद्यापति उच्च मध्य विद्यालय, बिस्फीमे डूबय सऽ होमय वला मृत्युक रोकथाम हेतु जन-जागरूकता सप्ताहक तहत बाढ़ पूर्व तैयारी सुरक्षा सप्ताह (जन जागरूकता अभियान) सऽ संबंधित प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित कयल गेल।

ज्ञातव्य हो जे आपदा प्रबंधन विभाग एवं जिलाधिकारी, अरविन्द कुमार वर्मा द्वारा देल गेल निदेशक आलोकमे जिलामे डूबयसऽ होबय वला मृत्युक अधिकता एवं ओकर रोकथाम के लऽ कऽ एस.डी.आर.एफ. के टीमक द्वारा दिनांक-24.06.2024 सऽ दिनांक-30.06.2024 तक जन-जागरूकता सप्ताह कार्यक्रमक आयोजन कयल जा रहल अछि।

एहि क्रममे बाढ़ प्रवण / बहु-आपदा प्रवण अंचलक प्राथमिकता दैत आजु बुध दिन बिस्फीमे प्रशिक्षणक आयोजन कयल गेल। कार्यक्रममे डूबय सऽ होय वला मृत्युक रोकथाम हेतु चयनित विद्यालयक छात्र-छात्रा, अंचल अन्तर्गत स्वेच्छा सऽ भाग लेबय वला जनप्रतिनिधि/समाज सेवक, प्रशिक्षित आपदा मित्र, प्रशिक्षित तैराक, गोताखोर, नेहरु युवा केन्द्रक स्वंयसेवक के जागरूक कयल गेल।

जन-जागरूकता सप्ताह कार्यक्रमक सफल आयोजन हेतु सभ संबंधित अंचल अधिकारी के निदेश देल गेल अछि जे ओ प्रशिक्षण कराबयवला SDRF टीम के सहयोग / समन्वय हेतु एकटा जानकार कर्मी के प्रतिनियुक्त करय एवं निर्धारित कार्यक्रमसऽ पूर्व सभ आवश्यक तैयारीक निरीक्षण करब सुनिश्चित करय।

डूबय सऽ  हो वला मृत्युक रोकथाम हेतु आयोजित कार्यक्रमक सभ संबंधितसऽ समन्वय स्थापित कऽ आयोजन करायब सुनिश्चित करताह। प्रशिक्षणमे मानसूनक दौरान संभावित बाऽढ़ि के देखैत जल-जमाव वला क्षेत्र एवं धारक कात नहि जायबाक अपील कयल गेल। संगहि, बच्चा-बुच्ची के सेहो दूर रखबाक अपील कयल गेल।

ओ सभ जिलावासीसऽ अपील करैत कहलनि जे भारी वर्षा होयबाक स्थितिमे सभ लोक घरमे रहनाई सुनिश्चित करी। धार,पोखरि आदिक जलस्तर बढ़बाक संभावनाक संग बरखाक दिनमे कतेक जगहपर जल-जमाव भऽ जाईत अछि। बहुत जरूरी होबयपर घर सऽ बहराई।

ओ सभ जिलावासीसऽ अपील करैत कहलनि धार-पोखरिमे बर्तन-कपड़ा नहि धोऊ आ स्नान सेहो नहि करू। कियो डूबैत देखाय त ओकरा दिस रस्सी, धोती, साड़ी या बांस फेंकि ओकर प्राण बचाऊ। ओकरा तुरंत ऑक्सीजन उपलब्ध करवाऊ आ नहि भेटय त मुंह सऽ श्वास दियौ। यदि पेटमे पानि भरि गेल छैक त पेटक बल लेटाकऽ दवाब दियौ, जाहिसऽ पानि निकलि जाय। जल्दी अस्पताल लय जायबाक आदिक जानकारी सेहो देल गेल।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
1
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
1
win
Sitesh Choudhary
नमस्कार मैथिल, हम छी सीतेश चौधरी। हम कंटेंट क्रिएटर छी आ डिजिटल एडवर्टाइजमेंट एजेंसीक संचालक सेहो। पत्रकारिता सऽ लगाव सेहो राखैत छी। एहि माध्यमे हमर प्रयासमे समस्त अपन मिथिलांगन परिवारक सहयोग अपेक्षित अछि। धन्यवाद।

One Comment

Your email address will not be published. Required fields are marked *

  1. जिलाधिकारी अरविंद कुमार वर्मा के इस फैसले से मैं सहमत हूं

Choose A Format
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Poll
Voting to make decisions or determine opinions