अन्तर्राष्ट्रीय मादक पदार्थ दुरुपयोग निवारण दिवसक अवसरपर जिलाधिकारी देलाह संदेश।
मधुबनी: 26 June 2024: अन्तर्राष्ट्रीय मादक पदार्थ दुरुपयोग निवारण दिवसक अवसरपर जिलाधिकारी अरविन्द कुमार वर्मा अपन संदेशमे कहलाह है जे 26 जूनकऽ प्रत्येक वर्ष विश्व भरिमे "अंतर्राष्ट्रीय मादक पदार्थ दुरूपयोग निवारण दिवस" मनाओल जाईछ।
ओ कहलाह जे मादक पदार्थक सेवन व्यक्तिगत रूपसऽ प्राणघातक अछि संगहि, ई भावी नस्लक लेल अधोपतनक रास्ता सेहो खोलैछ।
ई दिवस हमरा लोकनिके मादक पदार्थक दुरूपयोगसऽ होबलवला दुष्परिणामपर गंभीरतापूर्वक विचार करबाक प्रेरणा दैत अछि एवं ओकर निवारण हेतु चलाओल जा रहल कार्यक्रम एवं अभियानक पुनर्समीक्षाक अवसर सेहो प्रदान करैछ।
ओ कहलाह जे जिला प्रशासन एहि अभियानक सफलता हेतु कृत संकल्पित अछि। ओ कहलाह जे एहि बुराईसऽ बचाव करनाई सभ्य समाजक पूर्ण जिम्मेवारी सेहो छैक।
Sitesh Choudhary
Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||
Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)
वाह क्या बात है। ये होना जरूरी भी था।