एक दिवसीय वॉलीबॉल बालक अंडर-15क चयन लेल होयत प्रतियोगिताक आयोजन।
दरभंगा, 25 जून 2024 :- 29 जून 2024क एक दिवसीय वॉलीबॉल बालक अंडर-15 आयु वर्गक खिलाड़ीक चयन लेल प्रतियोगिताक आयोजन नागेंद्र झा स्टेडियम दरभंगा में होयत।
चयन प्रतियोगितामे 15 वर्षसऽ कम आयु वर्गक कोनो भी बालक प्रतिभागी भाग लऽ सकैत अछि, जिनकर ऊंचाई 176 सेमी भेनाइ अनिवार्य अछि।
प्रमंडलीय अधीक्षक, दरभंगा प्रमंडल परिमल जी कहलनि जे बिहार राज्य खेल प्राधिकरण पटना द्वारा ई कार्यक्रम कयल जा रहल अछि, जेकर उद्देश्य अछि खेलक विकास के मूर्त रूप देनाई।
चयनकर्ता आलोक पांडे, बृजेश कुमार राठौर, कामिनी कुमारी के खेल प्राधिकरण, पटनाक द्वारा प्रतिनियुक्त कयल गेल अछि।
हुनक देख-रेखमे चयन प्रतियोगिता 29 जून 2024क 10:00 बजे पूर्वाहनसऽ प्रारंभ कयल जायत एवं प्रतिभागीक चयन कयल जायत।
Sitesh Choudhary
Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||
Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)
0 Comments