राष्ट्रीय लोक अदालतक सफलता लेल बैंक अधिकारीक संग भेल बैसार।

जिला एवं सत्र न्यायाधीश कहलाह जे एक सप्ताह धरि सभ बैंक अधिकारी राष्ट्रीय लोक अदालतके सफल बनाबै लेल काज करू। पक्षकारक संग समझौता करू।


rashhtreey lok adaltk sflta lel baink adhikareek sang bhel baisar jpg

राष्ट्रीय लोक अदालतक सफलता लेल बैंक अधिकारीक संग भेल बैसार।

दरभंगा, 04 जुलाई 2024 :- 13 जुलाई 2024 शनि दिन आयोजित होबयवला राष्ट्रीय लोक अदालतक मद्देनजर जिला एवं सत्र न्यायाधीश सह अध्यक्ष, जिला विधिक सेवा प्राधिकार विनोद कुमार तिवारी बैंकक उच्च अधिकारीक संग बैसार कयलनि।

जिला एवं सत्र न्यायाधीश कहलाह जे एक सप्ताह धरि सभ बैंक अधिकारी राष्ट्रीय लोक अदालतके सफल बनाबै लेल काज करू। पक्षकारक संग समझौता करू। लोक अदालतक दिन ऋणधारकके विशेष छूट देबाक प्रबंध करू आ एकर भरपूर प्रचार-प्रसार सेहो करू।

ओ कहलाह जे राष्ट्रीय लोक अदालतक आयोजन व्यवहार न्यायालय परिसर बेनीपुर एवं बिरौलमे सेहो होयत।
सभ बैंक अधिकारी दुन्नू अनुमंडलक लेल विशेष अधिकारी प्रतिनियुक्त करू, जे बकायेदारके अधिकतम छूट उपलब्ध कराबयमे सक्षम हो।

जिला एवं सत्र न्यायाधीश कहलाह जे समझौताक लक्ष्य मामलाके सुलझेनाई होयबाक चाही। एहिलेल पक्षकारक संग सुलह समझौताक लेल सार्थक प्रयास करू।

जिला विधिक सेवा प्राधिकारक सचिव रंजन देव कहलाह जे प्राधिकारक लक्ष्य छैक जे बेसी सऽ बेसी बैंक ऋणधारकक मामला लोक अदालतमे समाप्त हो।

ओ कहलाह जे एहिलेल सभ बैंक अधिकारी जिलाक तमाम शाखाक अधिकारीके लोक अदालतमे मौजूद रहिकऽ सहयोग करबाक स्पष्ट निर्देश देल जाय।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

Sitesh Choudhary
Hello 'Apan Mithilangan' Family. I am a content creator and owner of a Digital Advertising Agency named KDN. Thank You.

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
2
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
0
win

0 Comments

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Poll
Voting to make decisions or determine opinions
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals