पैनल अधिवक्ताक चयन लेल 27 जुलाई 2024 धरि लेल जायत आवेदन।
दरभंगा, 04 जुलाई 2024 :- रंजन देव सचिव, जिला विधिक सेवा प्राधिकार, व्यवहार न्यायालय दरभंगा कहलनि जे व्यवहार न्यायालय, दरभंगा, बेनीपुर आ बिरौलक लेल पैनल अधिवक्ताक चयन हेतु आवेदन पत्र दिनांक 27 जुलाई 2024 तक आमंत्रित करबाक हेतु तिथि निर्धारित कयल गेल अछि।
स्थानीय स्तरपर आवेदन पत्र दिनांक 27 जुलाई 2024क संध्या 5:00 धरि सचिव, जिला विधिक सेवा प्राधिकार, व्यवहार न्यायालय, दरभंगाक कार्यालयमे हाथों-हाथ या निबंधित डाक द्वारा लेल जायत।
इच्छुक अधिवक्ता आवेदन फॉर्म व्यवहार न्यायालय दरभंगाक वेबसाइट https://districts.ecourts.gov.in/darbhanga सऽ डाउनलोड कऽ सकैत छथि।
Sitesh Choudhary
Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||
Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)
0 Comments