मधुबनी जिलाधिकारी अंधराठाढ़ीक 47 गरीब भूमिहीन परिवारक बीच गैर मजरूआ मलिक जमीनक बंदोबस्ती पर्चाक कयलनि वितरण।
मधुबनी: 04 जुलाई 2024: जिलाधिकारी अरविंद कुमार वर्मा अंधराठाढ़ीक 47 गरीब भूमिहीन परिवारक बीच गैर मजरूआ मलिक जमीनक बंदोबस्ती पर्चाक कयलनि वितरण।
जिलाधिकारीक हाथसऽ भूमिक पर्चा पाबि उमा देवी, रंजू देवी, मल्ही देवी, पवित्री देवी, मुन्नी देवी, पूजा देवी, अमेरिका देवी ,मालती देवी, राधा देवी सहित सभक आंखिमे एकर खुशी देखल जा सकैत छल।
सरकारक गरीब कल्याणकारी योजनाक लाभ शत-प्रतिशत लाभुक धरि पूरा सहजताक संग पहुंचेनाई प्रशासनक सर्वोच्च प्राथमिकता अछि।
ई सभ गरीब भूमिहीन परिवार अंधराठाढ़ीक जलसेन, मोजा एवं जमेला पंचायतक छल।
उक्त अवसरपर एडीएम शैलेश कुमार, डीसीएलआर चंदन कुमार, डीपीआरओ परिमल कुमार, सीओ अंधराठाढ़ी आदि उपस्थित छलाह।
Sitesh Choudhary
Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||
Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)
0 Comments