Maithili (India – Nepal ) full movie | मसीह-दूत | Acts | After resurrection of Jesus | Subtitles




मसीह-दूत 1
परिचय
1-2आदरणीय थियुफिलुस, हम अपन पहिल पुस्‍तक मे यीशुक सभ काज आ शिक्षा जे ओ शुरू सँ लऽ कऽ स्‍वर्ग मे उठा लेल गेलाह ताहि दिन धरि कयलनि तकर सम्‍पूर्ण विवरण लिखने छी। स्‍वर्ग मे उठाओल जाय सँ पहिने ओ अपन चुनल दूत सभ केँ परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा द्वारा अपन आदेश सभ देलथिन। 3हुनका सभक मध्‍य ओ मुइलाक बाद चालिस दिन धरि बेर-बेर प्रगट भऽ कऽ एहि बातक अकाट्‌य प्रमाण दैत रहलाह जे ओ जीबि उठल छथि। ओ ओहि समय मे हुनका सभ केँ परमेश्‍वरक राज्‍यक विषय मे शिक्षा दैत छलाह 4आ एक दिन जखन हुनका सभक संग छलथिन तँ ओ ई आदेश देलथिन जे, “अहाँ सभ ताबत धरि यरूशलेम सँ बाहर नहि जाउ जाबत धरि ओ बात अहाँ सभ केँ प्राप्‍त नहि भऽ जायत जे बात अहाँ सभ केँ देबाक लेल हमर पिता वचन देने छथि। एहि बातक सम्‍बन्‍ध मे हम पहिनहि अहाँ सभ केँ कहने छी जे, 5यूहन्‍ना तँ पानि सँ बपतिस्‍मा देलनि मुदा अहाँ सभ केँ किछु दिन मे पवित्र आत्‍मा सँ बपतिस्‍मा देल जायत।”
यीशु स्‍वर्ग मे उठा लेल गेलाह
(मरकुस 16:19-20; लूका 24:50-53)
6एक दिन यीशु जखन फेर अपन दूत सभक संग छलाह तखन ओ सभ हुनका सँ पुछलथिन, “प्रभु, की अहाँ एही समय मे इस्राएली सभ केँ अपन राज्‍य फिरता करबा देब?” 7ओ उत्तर देलथिन, “कहिया कखन की होयत, से पिता अपना अधिकार सँ निश्‍चित कयने छथि, आ ताहि बात केँ जानी से अहाँ सभक काज नहि अछि। 8मुदा जखन अहाँ सभ पर पवित्र आत्‍मा औताह तँ अहाँ सभ सामर्थ्‍य प्राप्‍त करब आ यरूशलेम मे, सम्‍पूर्ण यहूदिया और सामरिया प्रदेश मे, आ सम्‍पूर्ण पृथ्‍वी पर अहाँ सभ हमर गवाह होयब।” 9एतेक कहलाक बाद हुनका सभक देखिते-देखिते ओ ऊपर उठा लेल गेलाह और एकटा मेघ आबि कऽ हुनका सभक नजरिक सोझाँ सँ हुनका झाँपि लेलकनि।
10जखन मसीह-दूत सभ यीशु केँ ऊपर उठा लेल गेलाक बादो टकटकी लगा कऽ आकाश दिस तकिते रहलाह तखन एकाएक उज्‍जर वस्‍त्र पहिरने दूटा पुरुष हुनका सभ लग ठाढ़ भऽ गेलाह। 11ओ सभ मसीह-दूत सभ केँ कहलथिन, “हे गलीलक लोक सभ, अहाँ सभ आकाश दिस की तकैत छी? यैह यीशु जे अहाँ सभ लग सँ स्‍वर्ग मे उठा लेल गेलाह से ओही तरहेँ एक दिन फेर औताह जाहि तरहेँ अहाँ सभ हुनका स्‍वर्ग जाइत देखलहुँ।”
12तखन मसीह-दूत सभ जैतून पहाड़ नामक परवत पर सँ यरूशलेम घुरि अयलाह। ओ पहाड़ यरूशलेम सँ करीब आधा कोस दूर अछि। 13यरूशलेम पहुँचि कऽ ओ सभ उपरका कोठली मे गेलाह जाहि मे ओ सभ ठहरल छलाह। हुनका सभक नाम ई अछि—पत्रुस, यूहन्‍ना, याकूब और अन्‍द्रेयास, फिलिपुस और थोमा, बरतुल्‍मै और मत्ती, अल्‍फेयासक पुत्र याकूब और “देश-भक्‍त” सिमोन और याकूबक पुत्र यहूदा। 14ओ सभ किछु स्‍त्रीगण, यीशुक माय मरियम और हुनकर भाय सभक संग मिलि कऽ एक चित्त भऽ नित्‍य प्रार्थना करैत छलाह।

मसीह-दूत 2
पवित्र आत्‍माक आगमन
1पेन्‍तेकुस्‍त पाबनिक दिन अयला पर सभ विश्‍वासी एके ठाम जमा छलाह। 2एकाएक आकाश सँ बड़का अन्‍हड़-बिहारि जकाँ आवाज आयल और ओ घर जाहि मे ओ सभ बैसल छलाह से ओहि आवाज सँ गोंगिया उठल। 3ओ सभ देखलनि जे जीहक आकार मे आगि सनक कोनो वस्‍तु आयल और अलग-अलग भऽ कऽ हुनका सभ मे प्रत्‍येक गोटे पर रूकि गेल। 4सभ केओ पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ गेलाह और पवित्र आत्‍मा हुनका सभ केँ जे बजबाक क्षमता देलनि, ताहि अनुसार ओ सभ भिन्‍न-भिन्‍न भाषा मे बाजऽ लगलाह।
5ओहि समय मे परमेश्‍वर केँ मानऽ वला बहुत देशक यहूदी सभ यरूशलेम मे रहैत छल। 6ई आवाज जखन भेल तँ बहुत लोक ओतऽ जमा भऽ गेल आ गुम्‍म रहि गेल, कारण मसीह-दूत सभ जे बात बजैत छलाह से ओ सभ अपना-अपना भाषा मे सुनैत छल। 7ओ सभ अकचका कऽ कहलक, “की ई सभ जे बाजि रहल छथि से सभ गलीले प्रदेशक नहि छथि? 8तँ ई कोना भेल जे अपना सभ हिनकर सभक बात अपना-अपना मातृभाषा मे सुनि रहल छी? 9अपना सभ जे पार्थी, मेदी और एलामी लोक छी, मेसोपोतामिया, यहूदिया, कप्‍पदुकिया, पुन्‍तुस, आसिया, 10फ्रूगिया, पंफूलिया, मिस्र और कुरेनक लग मे पड़ऽ वला लिबियाइ क्षेत्रक निवासी छी, रोम सँ आयल यहूदी लोक आ दोसर समाजक लोक जे यहूदी धर्म केँ स्‍वीकार कयने अछि, 11से छी, क्रेत द्वीपक वासी और अरबी लोक सभ छी—से हिनका सभक मुँह सँ परमेश्‍वरक महान्‌ काजक चर्चा अपना-अपना भाषा मे कोना सुनि रहल छी?” 12ओ सभ आश्‍चर्यित भऽ कऽ एक-दोसर सँ पुछऽ लागल, “एकर अर्थ की भऽ सकैत अछि?”
13एहि पर किछु लोक ठट्ठा करैत कहऽ लागल, “ई सभ दारू पिबि कऽ मातल अछि।”
पत्रुसक जबाब
14तखन पत्रुस एगारहो मसीह-दूतक संग ठाढ़ भेलाह और भीड़क लोक केँ जोर सँ कहऽ लगलथिन, “यहूदी भाइ लोकनि आ यरूशलेमक सभ निवासी, हम जे किछु कहैत छी तकरा ध्‍यानपूर्बक सुनू। 15अहाँ सभ ई बुझि लिअ जे हम सभ मातल नहि छी, जेना कि अहाँ सभ सोचि रहल छी, कारण एखन तँ भोरक नौए बाजल अछि! 16नहि, ई वैह बात अछि जकरा सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता योएल कहने छथि,
17‘परमेश्‍वर ई कहैत छथि जे,
अन्‍त समय मे सभ वर्गक मनुष्‍य केँ हम अपन आत्‍मा देबैक।
तखन तोरा सभक बेटा-बेटी सभ हमरा सँ सम्‍बाद पाओत आ सुनाओत।
तोरा सभक युवक सभ हमरा द्वारा प्रगट कयल दृश्‍य देखत,
और तोरा सभक वृद्ध लोकनि सपना देखत।
18हँ, हम अपन दास-दासी सभ केँ सेहो ओहि समय मे अपन आत्‍मा देबैक
और ओ सभ हमरा सँ सम्‍बाद पाओत आ सुनाओत।
19हम ऊपर आकाश मे अद्‌भुत काज सभ करब
आ नीचाँ पृथ्‍वी पर आश्‍चर्यजनक चिन्‍ह सभ देखायब,
जेना कि खून, आगि और गाढ़ धुआँ।
20परमेश्‍वरक महान् महिमापूर्ण दिन आबऽ सँ पहिने
सूर्य अन्‍हार भऽ जायत
आ चन्‍द्रमाक रंग खून सन लाल भऽ जायत।
21मुदा जे केओ प्रभु सँ विनती करत तकर उद्धार होयतैक।’


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
0
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
0
win
Choose A Format
Poll
Voting to make decisions or determine opinions
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Video
Youtube and Vimeo Embeds
Audio
Soundcloud or Mixcloud Embeds
Image
Photo or GIF
Gif
GIF format