डी.एल.सी.सी.के भेल तिमाही बैसार।

बैसारमे अग्रणी जिला प्रबंधक, दरभंगा रेणु सिन्हा दरभंगा जिलाक सभ बैंकक समेकित तिमाही उपलब्धिसऽ अपर समाहर्ताके अवगत करौलनि।


dee.el.see.see.ke bhel timahee baisar jpg

डी.एल.सी.सी.के भेल तिमाही बैसार।

दरभंगा, 04 जुलाई 2024 :-  दरभंगा, समाहरणालय अवस्थित बाबा साहेब डॉ.भीमराव अम्बेडकर सभागारमे जिलाधिकारीक निर्देशानुसार अपर समाहर्ता नीरज कुमार दासक अध्यक्षतामे जिला स्तरीय परामर्शदात्री/समीक्षा समितिक मार्च, 2024क तिमाही बैसार आयोजित कयल गेल।

बैसारमे अग्रणी जिला प्रबंधक, दरभंगा रेणु सिन्हा दरभंगा जिलाक सभ बैंकक समेकित तिमाही उपलब्धिसऽ अपर समाहर्ताके अवगत करौलनि।

ओ कहलनि जे दरभंगा जिलाक वर्ष 2023-24क वार्षिक लक्ष्य 29 लाख 08 हजार 212 रुपयाक विरुद्ध मार्च 2024 तिमाहीक उपलब्धि 23 लाख 4361 लाख अछि, जे कृषि क्षेत्रक लक्ष्यक 78.59 प्रतिशत छैक। साख जमा अनुपात मार्च 2024मे जिलाक साख जमा अनुपात 49.76 प्रतिशत छैक।

बैसारमे बतायल गेल जे मार्च 2024 धरि जिला गव्य विकास कार्यालयसऽ आवेदन विभिन्न बैंकमे पठाओल गेल छैक, बैंक द्वारा सभ लक्ष्य प्राप्त कऽ लेल गेल अछि। स्वयं सहायता समूह जीविका मार्च 2024 धरि तिमाही विभिन्न बैंक द्वारा 35 हजार 478 एसएचजीमे क्रेडिट लिंकेज कयल गेल अछि। 530 आवेदन एखनहु बैंक शाखामे वितरणक लेल लंबित छैक आ 958 आवेदन पत्र स्वीकृतिक लेल लंबित छैक जेकरा शीघ्र पूरा कयल जायत।

बताओल गेल जे किसान क्रेडिट कार्डक लेल मछली पालन, मुर्गी पालन आ गौ पालनक लेल दिशा-निर्देश जारी कयल गेल छैक जेकर अनुपालन बैंक द्वारा कयल जा रहल अछि। वर्ष 2023-24मे पीएमईजीपीक वार्षिक लक्ष्य 509क विरुद्ध मार्च 2024 धरि 491 आ पीएमएफएमईमे वार्षिक लक्ष्य 326क विरुद्ध 340 आवेदनक स्वीकृति कयल गेल अछि।

माइनॉरिटी कम्युनिटी वेलफेयरक तहत देशक 121 जिलामे सात जिला बिहारक आबैत छैक,ओहि सात जिलामे दरभंगा सेहो छैक। मार्च 2024 तिमाही धरि कुल प्राथमिकता क्षेत्रमे 513451 लाख रुपए ऋण देल गेल अछि, जाहिमे माइनॉरिटी कम्युनिटीके 54015 लाखक ऋण देल गेल छैक।

आर.सेटीक माध्यमसऽ डेयरी,वर्मी कंपोस्ट, मशरूम उत्पादन, सिलाई, कढ़ाई, ब्यूटी पार्लर आदिक लेल प्रशिक्षण देल जाईछ। मार्च 2024 तिमाही धरि 765 युवक/युवतियोंके प्रशिक्षण देल गेल छैक।

बैसारमे सभ बैंकके निर्देश देल गेल जे प्रत्येक बैंक समन्वयक/क्षेत्रीय प्रबंधक महीनामे कम सऽ कम एक बेर आरसेटीक भ्रमण कऽ योग प्रशिक्षणार्थीक ऋण आवेदन स्वीकृत कऽ आत्मनिर्भर बनाबयमे मदद कऽ, प्रधानमंत्रीक आत्मनिर्भर भारतक सपनाके साकार करी, जाहिसऽ जिलाक कृषि एवं एमएसएमई क्षेत्रक ऋण प्रवाहमे उत्तरोत्तर वृद्धि संभव हो।

किसानक आमदनी दोगुना करबाक लेल नाबार्ड एवं योजना निदेशक आत्मा द्वारा कहल गेल जे प्रशिक्षण प्राप्त लोकक द्वारा वर्मी कंपोस्ट, मशरूमक खेती, सब्जीक खेती, फूलक खेती, केला/ लीचीक खेती, मुर्गी पालन, हेचरी, मछली पालन, गाय पालन आदि क्षेत्रमे खेती के बढ़ावा देल जाय आ एफपीओ एवं एईएफ योजनाओं के सफल कयल जाय त किसानक आयमे वृद्धि होयत।

आत्मनिर्भर भारतक तहत प्रधानमंत्री पैकेजक तहत बैंकक द्वारा मुस्तैदीसऽ विभिन्न योजनाके सफल बनायल जा रहल अछि। प्रधानमंत्री स्ट्रीट वेंडर निधिक अंतर्गत दरभंगा जिलामे 4560 आवेदन सृजित कयल गेल अछि जाहिमे 4485क स्वीकृति देल गेल आ 4205क वितरण कयल गेल।

बैसारमे डी.डी.एम. (नबार्ड) राज नंदनी पी.एम.ई.जी.पी. एवं पी.एम.एफ.एम.ई. आदिक संबंधमे पावर प्वाइंट प्रस्तुतीकरणक माध्यमसऽ विस्तृत जानकारी देलैन। बैसारमे अपर समाहर्ता सभ बैंकक सीआर रेशियोके बढ़ाबय के निर्देश देलैन आ ओ कहलनि जे आम लोकक समस्याक समाधान करू। ऋण लेबय वलाके कोनो समस्या नहि हो, ई सुनिश्चित करू। ओ अग्रणी बैंक प्रबंधकके निर्देश देलैन जे, जे प्रतिनिधि या बैंक कर्मी मीटिंगमे आबैत छैथ वैह अगला मीटिंगमे सेहो आबैथ।

बैसारमे डीआरडीए निदेशक पवन कुमार यादव, भारतीय रिर्जव बैंकक प्रतिनिधि मलया रंजनक संग-संग सभ संबंधित पदाधिकारीगण उपस्थित छलाह।

Sitesh Choudhary

Follow Us On Facebook || Subscribe Us On Youtube || Find Us On Instagram ||

Check Us On Pinterest || Follow Us On X (Tweeter)

विशेष जानकारी लेल संपर्क करू


Like it? Share with your friends!

Sitesh Choudhary
Hello 'Apan Mithilangan' Family. I am a content creator and owner of a Digital Advertising Agency named KDN. Thank You.

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
1
love
lol lol
1
lol
omg omg
1
omg
win win
0
win

0 Comments

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Choose A Format
Poll
Voting to make decisions or determine opinions
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals