शिक्षा व्यवस्था केर लचर बनौने अछि बिहार सरकार : याज्ञवल्क्य


FB IMG 1677616438601
FB IMG 1677616438601

दरभंगा: अभाविपक राष्ट्रीय महामंत्री याज्ञवल्क्य शुक्ल कहलनि जे बिहारक युवा एतेक सशक्त अछि जे ओ अपन सामर्थ्यसऽ पूरा देशक नेतृत्व कऽ सकैत अछि। एतय के युवा सरकारक भरोसे नहि रहय कियाकि बिहार सरकार एतय के शिक्षा-व्यवस्था केर लचर बनौने अछि। बिहारक कोनो विश्वविद्यालयमे सही समयपर प्रवेश, परीक्षा आ परिणाम नहि होईछ। ओ कहलनि जे हमरा सबहक ऊपर ई जिम्मेवारी अछि जे हम कोना तय करि जे हम अपन जीवनमे स्वयंक संग कम सऽ कम 10 लोक के रोजगार दी। राष्ट्रीय महामंत्री अभाविप दरभंगा जिला इकाई द्वारा आजादीक अमृत महोत्सवक अवसरपर जिला छात्र सम्मेलन के जुबली हॉलमे संबोधित करैत छलाह। एहि अवसरपर चेम्बर ऑफ कॉमर्सक अध्यक्ष पवन सुरेका, अभाविपक प्रान्त सह मंत्री उत्सव पराशर, विभाग प्रमुख डॉ. विनोदानंद झा, जिला प्रमुख अमृत झा, प्रदेश छात्रा प्रमुख पूजा कश्यप, आलोक कुमार, राहुल सिंह, आशुतोष गौरव, शिवसुंदर सिंह आदि सेहो अपन विचार व्यक्त कयलनि। कार्यक्रमक संचालन अमित शुक्ला आ धन्यवाद ज्ञापन नीतीश कुमार मिश्रा कयलनि।


.....✍️ Sitesh Choudhary


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
0
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
0
win

0 Comments

Choose A Format
Poll
Voting to make decisions or determine opinions
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Video
Youtube and Vimeo Embeds
Audio
Soundcloud or Mixcloud Embeds
Image
Photo or GIF
Gif
GIF format