
दरभंगा: जिला गंगा समितिक बैठक उप विकास आयुक्त अमृषा बैंसक अध्यक्षतामे हुनक कार्यालय कक्षमे भेल। बैठकमे उप विकास आयुक्त जिलाक शहरी आ ग्रामीण क्षेत्रक सीमाक अंतर्गत नदीमे तरल आ ठोस अपशिष्ट लाबय वाला नालाक पहचान करय हेतु संबंधित पदाधिकारी के निर्देशित कयलनि। रिवर फ्रंट डेवलपमेंटक अंतर्गत नदीक प्रतिष्ठित स्थानपर नदी किनारे घाट निर्माण हेतु प्राप्त प्रस्तावपर आवश्यक कार्यवाही हेतु आ बेनीपुर प्रखंड अंतर्गत बाथो-रढ़ीयाम पंचायतमे जीवछ नदीपर बार बांधक नजदीक अपशिष्ट जल स्थिरीकरण तालाब (डब्लू०एस०पी०) निर्माण हेतु संबंधित पदाधिकारी के निर्देशित कयल गेल। नमामि गंगे कार्यक्रममे युवा सहभागिताक प्रगतिक बारेमे बताबैत जिला परियोजना पदाधिकारी-नमामि गंगे बतेलैथ जे 3515 गंगा दूतक चयन आ प्रशिक्षण संपन्न कयल जा चुकल अछि आ 55 गंगा युवा क्लबक गठन कयल जा चुकल अछि। प्रशिक्षित गंगा दूतक द्वारा गंगा युवा क्लबक माध्यमसऽ वृहत स्तरपर जनजागरूकता, वृक्षारोपण, स्वच्छता अभियान इत्यादिक आयोजन कयल जायत। ओ कहलनि जे जिला स्तरपर गंगा दूतक सम्मेलनक आयोजन कऽ प्रशस्ति पत्र प्रदान कयल जायत। बैठकमे जिला योजना पदाधिकारी नवीन कुमार, जिला पदाधिकारी-नमामि गंगे फारूक इमाम आ अन्य संबंधित पदाधिकारी उपस्थित छलाह।
.....✍️ Sitesh Choudhary
0 Comments