दरभंगा एम्सपर घटिया राजनीति करैत अछि राज्य सरकार : तोमर


FB IMG 1677617111574
FB IMG 1677617111574

मखाना अनुसंधान केन्द्रक 22म स्थापना दिवसमे शामिल भेलाह केन्द्रीय मंत्री। 

दरभंगा: भारत सरकारक कृषि एवं कल्याण मंत्री नरेन्द्र सिंह तोमर कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पिछड़ा क्षेत्रक विकासपर विशेष ध्यान दऽ रहलाह। मणिपुरमे स्पोर्ट्स यूनिवर्सिटीक स्थापना एकर एकटा उदाहरण अछि। मंत्री श्री तोमर मखाना अनुसंधान केन्द्र, दरभंगाक 22म स्थापना दिवसक मौकापर भारतीय कृषि अनुसंधान परिषद्क पूर्वी अनुसंधान परिसर मखाना अनुसंधान केंद्र, दरभंगा (बिहार)मे "किसानों की आजीविका में सुधार हेतु मखाना-आधारित कृषि प्रणाली" विषयपर बतौर मुख्य अतिथि विचार व्यक्त कयलाह। ओ कहलनि जे प्रधानमंत्री होलीसऽ पूर्व किसानक किसान सम्मान निधिक किश्त भुगतानक लेल 16000 हजार करोड़ रुपया आवंटित कयलाह। मंत्री स्थानीय सांसद डॉ. गोपालजी ठाकुर केर कर्मठ बताबैत कहलाह जे ओ क्षेत्रक विकास लेल हमेशा प्रयासरत रहैत छैथ आ मखानाक विकास, निर्यात सहित अन्य चीजों हेतु सेहो चिंता करैत छैथ। ओ कहलनि जे स्थानीय सांसद द्वारा हुनका एहि संस्थान केर पुन: राष्ट्रीय दर्जा देबाक आग्रह कयल गेल, जाहिपर ओ विचार करबाक आश्वासन देलैन। ओ कहलनि जे दरभंगा एम्सपर राज्य सरकार घटिया राजनीति कऽ रहल अछि। मंत्री जी एम्स के गरीबक लेल वरदान बतेलैथ। ओ कहलनि जे अटल बिहारी वाजपेयी अपन कार्यकालमे 4 एम्स देलाह। नरेंद्र मोदीक कार्यकालमे 22 एम्स अछि। केंद्रीय मंत्री कहलनि जे केंद्र सरकार बिहार के एक लाख करोड़ रुपए सऽ अधिक राशि देलक, आ प्रधानमंत्री जी द्वारा राज्योंक विकास लेल एकटा कोष बनायल गेल, जे राज्य के बिना ब्याज ऋण उपलब्ध कराबैत अछि। ओ अपन संबोधनमे दरभंगा एयरपोर्ट आ दरभंगा रेलवे स्टेशनक जिक्र कयलनि। मंत्री मखाना अनुसंधान केंद्रक उन्नयन, मखानाक खेती के प्रोत्साहन, प्रोसेस और निर्यात बढ़ाबय लेल एकटा और कार्यक्रम करताह। सांसद डॉ. गोपालजी ठाकुर केन्द्रीय मंत्री के ज्ञापन दऽ अनेकों मांग कयलनि। जाहिमे मखाना अनुसंधान केंद्र, दरभंगा केर राष्ट्रीय अनुसंधान केंद्र, मखानाक रूपमे उन्नयन (पुनर्स्थापन), मखानाक न्यूनतम समर्थन मूल्य आ मखाना मंडीक व्यवस्था, अनुसंधान केंद्रमे वैज्ञानिक आ अन्य कर्मचारीक संख्यामे यथोचित वृद्धि, वैज्ञानिक उपकरण आ शोधक लेल जरूरी भौतिक संरचना (प्रयोगशाला)क विकास, केंद्रमे बाउंड्री वॉलक निर्माण, सुरक्षा कर्मीक तैनाती, कार्यालय वाहन आदि मुहैया करायब आदि शामिल अछि। कार्यक्रममे भारतीय कृषि अनुसंधान परिषद्क पूर्वी अनुसंधान परिसर, पटनाक निदेशक आ कार्यक्रमक आयोजक आ संचालक डॉ. अनूप दास, वरिष्ठ वैज्ञानिक एवं प्रमुख मखाना अनुसंधान केंद्र, दरभंगा डॉ. मनोज कुमार, पूर्व विधायक अमरनाथ गामी, भाजपा जिलाध्यक्ष जीवछ सहनी आदि उपस्थित छलाह। एकर पूर्व केन्द्रीय मंत्री श्री तोमर के दरभंगा हवाई अड्डा पहुंचलापर भाजपाई नेतागण स्वागत कयलनि।

....✍️ Sitesh Choudhary


Like it? Share with your friends!

What's Your Reaction?

hate hate
0
hate
confused confused
0
confused
fail fail
0
fail
fun fun
0
fun
geeky geeky
0
geeky
love love
0
love
lol lol
0
lol
omg omg
0
omg
win win
0
win

0 Comments

Choose A Format
Poll
Voting to make decisions or determine opinions
Story
Formatted Text with Embeds and Visuals
Video
Youtube and Vimeo Embeds
Audio
Soundcloud or Mixcloud Embeds
Image
Photo or GIF
Gif
GIF format