
दरभंगा: दरभंगा जिलाक केवटी प्रखण्ड स्थित पिण्डारुच पंचायतक अंतर्गत गोपालपुर गाममे अवस्थित गंगधारेश्वर महादेव मंदिरमे शिवरात्रि महोत्सवक आयोजन कयल जा रहल अछि। एहि संदर्भमे जानकारी दैत समाजसेवक विक्रम मिश्रा कहलैन कि विगत 14-02-2023क आरम्भ भेल एहि आयोजनक पूर्णाहुति आगामी 19-02-2023क होयत। एहि दौरान प्रतिदिन महादेवक अभिषेक कयल जा रहल अछि एवं सायंकालीन सत्रमे भागवत कथाक आयोजन कयल जा रहल अछि। भागवत कथा वाचनक लेल प्रयागराज सऽ पंडित सत्यदेव जी महाराज एतय पधारल छैथ। रूद्राभिषेक एवं भागवत कथाक दौरान एतय भक्तक भारी भीड़ देखबामे आऽबि रहल अछि। आजु शिवरात्रिक पुनीत अवसरपर प्रातः काल 10:00 बजे कलश शोभायात्राक आयोजन कयल गेल जाहिमे कुमारि कन्याक भारी संख्याक संग ग्रामीण एवं भक्तक भारी तादादमे उपस्थिति दर्ज कयल गेल। महादेवक रूद्राभिषेकक तत्काल बाद दोपहरमे कुमारि कन्याक भोजनक व्यवस्था कयल गेल। सायंकालीन सत्रमे भागवत कथा वाचनक उपरांत सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल। श्री मिश्राक अनुसार एहि आयोजनमे समस्त ग्रामीण हर्षोल्लासक संग शामिल भऽ रहल छैथ। काल्हि दिनांक 19-02-2023क विशाल भंडारा आयोजित कयल जायत। एकर पश्चात एहि आयोजनक पूर्णाहुति होयत। एहि आयोजनक कमान आयोजन समितिक सदस्य समाजसेवी शशिशेखर मिश्रा, गुरूदेव ललन कुमार मिश्रा, छोटन मिश्रा, रंजन मिश्रा, पंडित श्रवण झा, पंडित आदित्य मिश्रा एवं अन्य ग्रामीण लोकनि जिम्मेदारीसऽ सम्हारि रहलाह।
……. Sitesh Choudhary
0 Comments